कखन उगतई मोरा दीनानाथ
सुगबा रे सुगबा कागा रे कोयलिया,
रे कागा रे कोयलिया, कखन उगतई मोरा दीनानाथ,
रे कखन उगतई मोरा दीनानाथ।
मैना रे मैना तरस गेलइ नैना,
तरस गेलइ नैना, कखन उगतई मोरा दीनानाथ,
रे कखन उगतई मोरा दीनानाथ।
चंदा चकोर गेलइ, गेलइ रे भोरुकवा,
गेलइ रे भोरुकवा, लालियो न देइ छै आई आकाश,
ए रे चंदा चकोर गेलइ, गेलइ रे भोरुकवा,
गेलइ रे भोरुकवा, लालियो न देइ छै आई आकाश,
बचबा बटोहिया रे लेने जो खबरिया,
रे लेने जो खबरिया, कखन उगतई मोरा दीनानाथ,
कखन उगतई मोरा दीनानाथ।
और इस भजन को भी देखें: छठ घाट सुहावन लागेला
आशा लगाउले छिया खड़ा बिच नदिया,
हो खड़ा बिच पोखरिया, कखन उठईव हमर हाँथ,
आशा लगाउले छिया खड़ा बिच नदिया,
हो खड़ा बिच पोखरिया, कखन उठईव हमर हाँथ,
पुरबा रे पछिया पतवा पतहिया,
रे पतवा पतहिया, कखन उगतई मोरा दीनानाथ,
रे कखन उगतई मोरा दीनानाथ।

